मुजफ्फरपुर। 05 दिसम्बर। मुजफ्फरपुर के बहुचर्चित नवरूणा हत्याकांड मे सीबीआई क' एक बेर फेरसँ फजीहत भेल अछि। 90 दिन धरी कोर्ट मे चार्जशीट समर्पित नहि करबा पर गिरफ्तार आरोपी वार्ड पार्षद राकेश सिन्हा क' सशर्त जमानत भेट गेल अछि। सीबीआई द्वारा राकेश सिन्हा उर्फ पप्पु क' 5 सितंबर क' पटना स्थित सीबीआई कार्यालय मे पूछताछ केर बाद गिरफ्तार कायल गेल छल। मुदा 90 दिन धरी सीबीआई द्वारा राकेश सिन्हा केर खिलाफ कोर्ट मे चार्जशीट नहि देल गेल।
विशेष सीबीआई कोर्ट द्वारा एक सरकारी सेवक आओर परिवार के सदस्य क' जमानतदार बतबैत दस - दस हजार के दू मुचलक पर जमानत पर रिहा करबाक आदेश देल गेल। सीबीआई द्वारा नवरूणा के घरक आगू के नाला सँ भेटल नरकंकाल क' हत्याकांड मे एक रहस्य मानैत वार्ड पार्षद राकेश सिन्हा केर भूमिका ल'के कोर्ट मे सवाल ठाढ़ कायल गेल छल। राकेश सिन्हा केर जमानत याचिका पर विरोध दर्ज करबै बला सीबीआई केर अधिकारी कैल्हि सोम दिन सुनवाई केर दौरान कोर्ट मे उपस्थित सेहो नहि छला। सुप्रीम कोर्ट द्वारा सीबीआई क' जांचक लेल अंतिम मौका 31 मार्च 2018 तक देल गेल अछि।
अपने क' बता दी 18 सितंबर 2012 के राति नगर थाना के जवाहरलाल रोड स्थित आवास सँ नाबालिग नवरुणा केर अपहरण काएल गेल छल। बाद म' आढ़ाई माह बाद हुनका घरक नाला सँ कंकाल बरामद भेल छल। शुरू म' एहि मामलाक जांच पुलिस फेर बाद म' सीआइडी केलनि। दुनू के जांचक नतीजा किछु नहि निकलल। बाद म' सुप्रीम कोर्ट केर आदेश पर सीबीआई क' जांच सौंपल गेल। सीबीआई फरवरी 2014 सँ एहि मामला केर जांच क' रहल छल, जाहिमे ई पहिल गिरफ़्तारी थीक।
विशेष सीबीआई कोर्ट द्वारा एक सरकारी सेवक आओर परिवार के सदस्य क' जमानतदार बतबैत दस - दस हजार के दू मुचलक पर जमानत पर रिहा करबाक आदेश देल गेल। सीबीआई द्वारा नवरूणा के घरक आगू के नाला सँ भेटल नरकंकाल क' हत्याकांड मे एक रहस्य मानैत वार्ड पार्षद राकेश सिन्हा केर भूमिका ल'के कोर्ट मे सवाल ठाढ़ कायल गेल छल। राकेश सिन्हा केर जमानत याचिका पर विरोध दर्ज करबै बला सीबीआई केर अधिकारी कैल्हि सोम दिन सुनवाई केर दौरान कोर्ट मे उपस्थित सेहो नहि छला। सुप्रीम कोर्ट द्वारा सीबीआई क' जांचक लेल अंतिम मौका 31 मार्च 2018 तक देल गेल अछि।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।