शरद यादव आओर अली अनवर केर राज्यसभा सदस्यता भेल खत्म

नई दिल्ली। 05 दिसम्बर। जेडीयू के बागी नेता शरद यादव आओर अली अनवर क' राज्यसभा सँ अयोग्य करार देल गेल अछि। राज्यसभा केर  सभापति एम वेंकैया नायडू दिस सँ कैल्हि देर राति शरद यादव क' भेजल गेल गए पत्र मे ई जानकारी देल गेल। 

कैल्हि राति करीब साढ़े दस बजे शरद यादव केर निवास पर भेजल गेल 23 पन्ना के पत्र मे कहल गेल अछि कि तत्काल प्रभाव सँ अहाँके राज्यसभा केर सदस्यता समाप्त कायल जे रहल अछि। शरद यादव फिलहाल चुनाव प्रचार केर सिलसिला मे गुजरात मे छथि। राज्यसभा केर सभापति जेडीयू के एहि तर्क सँ सहमत छल कि दुनू वरिष्ठ नेता पार्टी केर निर्देश सभक उल्लंघन करैत विपक्षी दल सभक कार्यक्रम सभमे शामिल भ' स्वेच्छा सँ अप्पन सदस्यता त्याग केलनि। जेडीयू अध्यक्ष आओर मुख्यमंत्री नीतीश कुमार के महागठबंधन सँ हटलाक आओर बीजेपी संग गठबंधन करबाक बाद शरद यादव विपक्ष सँ हाथ मिला लेना छथि। 

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ