अपराधी सभक हत्या करनिहारक लेल सांसद पप्पू यादव केलनि 5 लाख टाका इनाम केर घोषणा

वैशाली। 05 दिसम्बर। बिहार मे आय कैल्हि राजनीति केर भाषा मे हिंसा केर खुलाआम प्रदर्शन भ' रहल अछि। पहिने नेता सभ एक दोसरक ले अमर्यादित आओर विवादित बयान देलनि। आब कानून क' ठेंगा पर राखैत  राजनेता सभ खुलेआम हिंसा क' बढ़ावा देबाक बयान द' रहल अछि। अप्पन विवादित बयान सभसँ सुर्खी मे रहे बला सांसद पप्पू यादव द्वारा हत्या करनिहार अपराधी सभक हत्या करनिहारक लेल 5 लाख टाका इनाम केर ऐलान कायल गेल अछि। 

जनाधिकार मोर्चा के सुप्रीमो आ मधेपुरा सँ सांसद पप्पू यादव वैशाली मे मुख्यमंत्री नीतीश कुमार क' 'खुला चैलेंज' देलनि। पप्पू यादव नीतीश कुमार क' चुनौती दैत कहलनि कि हिनका एक मासक समय आओर  मौका देल जाय आ ऐहिक बाद बिहार मे एकोगोट अपराधी बचल तेँ ओ राजनीति छोईड़ देता। पप्पू यादव कहलनि कि एहि दुनू दावा लेल ओ कोर्ट मे एफिडेविट सेहो करेबाक लेल तैयार छथि।

गौरतलब अछि कि वैशाली के महनार मे 3 दिन पहिने व्यवसायी श्रवण जायसवाल केर हत्याक बाद हुनकर परिजन सभसँ भेंट करबाक लेल पप्पू यादव पहुँचल छला। पप्पू यादव केर घोषणा सुनी मृतक जायसवाल केर  परिजन सभ कहलनि कि अपराधी सभके यदि पुलिस नहि मारैत अछि तेँ हम सभ मारब। मृतक के परिजन सभ बतौलनि कि हत्या केँ साजिशकर्ता जेल मे छथि ई सुनी पप्पू यादव हुनका जेल मे मरबेबाक सार्वजनिक तौर पर ऐलान क' देलनि। 

पप्पू यादव बिहार मे बिगड़ैत कानून व्यवस्था आओर अपराध, भ्रष्टाचार जेहन मुद्दा केर विरोध मे 7 दिसंबर क' महनार बंद केर ऐलान केलनि अछि। ऐहिक अलावा 10 दिसंबर क' बिहार केँ सड़क आओर रेल चक्का जाम आओर 16 दिसंबर क' बिहार बंद केर संगे - संग चरणबद्ध आंदोलन करबाक ऐलान केलनि।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ