कलयुगी पिता-पुत्र केलक खुनक रिश्ता क' कलंकित, सात बरख धरी केलक अपनहि बेटी-बहिन केर यौन शोषण

गया। 28 दिसम्बर। कलयुगी पिता-पुत्र द्वारा खुनक रिश्ता क' कलंकित करबाक खबैर भेटल अछि। प्राप्त खबैर केर मुताविक सात बरख धरी हवसी पिता आओर भाई अपनहि बेटी-बहिन केर करैत छल यौन शोषण, पीड़िता केर शिकायत पर पुलिस पीड़िता क' एहि सँ मुक्त करेलक। पीड़िता हिम्मत देखबैत थाना पहुंच अप्पन पिता आओर दू सहोदर भाई पर F.I.R दर्ज करौलनि। पीड़ित कहली जखन बेटी अपनहि घर मे सुरक्षित नहि छथि तेँ जेती कटा। एहि तरहक बेटी केर पवित्र सबंध क' तार - तार कराइ बला मामला केर खुलासा भेल अछि। जिनकर जिमेवारी छल देखभाल करबाक उवे बैन बैसला हवसी। 

प्राप्त खबैर केर मुताविक गया जिलाक मानपुरक बुनियादगंज थाना क्षेत्र केँ रहिवासी पीड़िता जखन पुलिस अधिकारी क' एहि बातक जानकारी फोन पर देली तखन पुलिस पीड़िता केँ घर पहुंच पीड़िता क' थाना आनलक। पीड़ित पुलिस क' कहलक कि घरक इज्जत क' घरे मे रहैय देवाक हवाला द' पिता आओर दू भाई हुनका पहिचा 7 बरख सँ हवस केर शिकार बनबैत आएब रहल छल। विरोध केला पर पीड़िता संग माएरपीट कायल जायत छल। 

कलयुगी पिता-पुत्र पीड़िता क' घर सँ बाहर निकले नहि दैत छल ताकि कतो भाएग नहि जाय। पीड़िता जखन ऐहीक शिकायत अप्पन माँ सँ करैत छथि तेँ माँ सेहो चुप्पी साधने रहैत छथि। पीड़िता अप्पन पिता अर्जुन प्रसाद, भाई रौशन व आकाश केर खिलाफ यौन शोषण करबाक प्राथमिकी दर्ज करेना छथि। ओतहि पीड़िता केँ कहब अछि कि आब ओ अप्पन घर जाय लेल नहि चाहैत छथि आओर अप्पन पूरा परिवार सँ अलग रहे चाहैत छथि। ऐही सम्बंध मे वजीरगंज डीएसपी अभिजीत कुमार सिंह कहलनि कि प्राथमिकी दर्ज क' लेल गेल अछि आओर मामलाक जांच कायल जे रहल अछि। पीड़िता केर मेडिकल जांच कराओल जे रहल अछि।