मुंबई : कमला मिल कंपाउंड मे लागल भीषण आगि, 15 गोटाक मौत

मुंबई। 29 दिसम्बर।[जितमोहन झा (जितू)] मुंबई केँ कमला मिल कंपाउंड स्थित 1-अबव रेस्तरां, लंडन टैक्सी बार आओर मोजो पब मे कैल्हि देर राति भीषण आगि लगला सँ 15 गोटाक मौत भ' गेल आओर16 गोटा गंभीर रुपे घायल अछि। मरै बला मे 12 महिला आओर 3 पुरुष अछि। घायल सभकेँ अलग-अलग अस्पताल मे भर्ती कराओल गेल अछि जाहिमे दू गोटाक हालत गंभीर बनल अछि। किंग एडवर्ड मेमोरियल हॉस्पिटल (KEM) द्वारा 15 गोटाक मौत केर पुष्टि कायल गेल अछि। पुलिस 1-अबव रेस्तरां केर खिलाफ आईपीसी केर धारा 304 केर तहत केस दर्ज केना अछि। आगि लगबाक कारण केँ पता एखन धरी नहि चलल अछि।