भागलपुर : ट्रेनक शौचालय सँ 64 अवैध अर्धनिर्मित पिस्तौल बरामद भेल

भागलपुर। 29 दिसम्बर। भागलपुर रेलवे स्टेशन पर ठाढ़ एक एक्सप्रेस ट्रेनक शौचालय सँ पुलिस 64 अवैध अर्धनिर्मित पिस्तौल बरामद केलक। फिलहाल एहि सिलसिला मे किनको गिरफ्तारी केर खबैर नहि अछि।  

भागलपुर रेल थाना केँ प्रभारी सुधीर कुमार सिंह कहलनि कि पुलिस क'  गुप्त सूचना भेटल छल कि सियालदह सँ वाराणसी जे रहल 13133 अप अपर इंडिया एक्सप्रेस ट्रेनक सामान्य बोगी सँ हथियारक एक बड़का खेप जे रहल अछि। एहि सूचना केर आधार पर पुलिस जांच शुरू केलक आओर ट्रेनक एक सामान्य बोगीक शौचालय केँ उपर बनल पैनक टंकी केर छत पर राखल 64 अर्धनिर्मित पिस्तौल बरामद केलक। 

सुधीर कुमार सिंह कहलनि कि हथियार पांच अलग-अलग पॉकेट मे राखल गेल छल। फिलहाल एहि मामला मे किनको गिरफ्तारी नहि भेल अछि। पुलिस पूरा मामला के छानबीन क' रहल अछि।