खुशखबरी : सहरसा - पूर्णिया वाया मधेपुरा रेलखंड पर "हाटे बाजारे एक्सप्रेस" ट्रेनक परिचालन शुरू

सहरसा। 07 दिसम्बर। सहरसा - पूर्णिया वाया मधेपुरा रेलखंड पर "हाटे बाजारे एक्सप्रेस" ट्रेनक परिचालन शुरू भ' गेल अछि। मधेपुरा केँ सांसद राजेश रंजन उर्फ पप्पू यादव मुरलीगंज रेलवे स्टेशन पर आओर पूर्णिया जंक्शन पर भाजपा विधायक विजय खेमका हाटे बाजारे ट्रेन क' हरी झंडी देखा केलनि। ट्रेनक परिचालन शुरू होयबाक खबैर भेटते लोग सभक भीड़  मुरलीगंज आओर मधेपुरा स्टेशन पर जमा जमा भ' गेल। 

मुरलीगंज स्टेशन प्लेटफॉर्म पर भोरे सँ रेलवे अधिकारी सभ उपस्थित छला। सियालदह सँ सहरसा धरी चलाई बला 13169 अप हाटे बाजारे एक्सप्रेस लगभग 11:10 बजे मुरलीगंज स्टेशन पहुंचल। मुरलीगंज स्टेशन पर ट्रेन क' रवाना करबाक बाद सांसद पप्पू यादव कहलनि कि अप्रैल 2018 तक दिल्ली सँ चलाई बला ट्रेन सेहो मुरलीगंज होयत चलत। जाहिक लेल रेलवे  अधिकारी सभसँ बातचीत चैल रहल अछि। पप्पू यादव कहलनि कि सहरसा, मधेपुरा आओर पूर्णिया रेलवे स्टेशन क' बिहारक नम्बर वन स्टेशन केर दर्जा दियाओल जायत। 

मधेपुरा स्टेशन पर सेहो हाटे बाजारे एक्सप्रेस क' जाप कार्यकर्ता सभक संगे संग स्थानीय लोग सभ स्वागत केलनि और मिठाय बांटलनि। हाटे बाजारे एक्सप्रेस सप्ताह मे दू दिन बुध आओर शुक्र क' सहरसा सँ सियालदह लेल 13170 डाउन आओर मंगल आओर गुरु दिन क, सियालदह सँ सहरसाक लेल 13169 अप वाया मधेपुरा चलत। 

सहरसा सँ सियालदह के लेल चलाई बला ई ट्रेनक समय मधेपुरा स्टेशन पर दिन मे 2.58 बजे आओर सियालदह सँ सहरसा के बीच चलाई बला एहि ट्रेनक समय मधेपुरा स्टेशन पर दिन मे 11.35 बजे तय कायल गेल अछि। आन पांच दिन पूर्व सँ परिचालित रेलखंड मानसी, नवगछिया होयत हाटे बजारे एक्सप्रेस चलत। ट्रेनक परिचालन पूर्णिया के रास्ते होयबा पर करीब डेढ़ घंटा केर समय केर बचत होमे लागल अछि।