प्राप्त खबैर केर मुताबिक जहानाबाद जिलाक रहिवासी विनोद कुमार पछिला कैको मास सँ बीमार छलाह आ हुनकर इलाज पटना के पीएमसीएच अस्पताल मे चलैत छलैन्ह। इलाजक दौरान गुरु दिन अप्पन अंतिम सांस लेलनि। हुनकर मौतक खबैर हुनकर बेटा क' देल गेल मुदा बेटा हुनकर अंतिम दर्शन करबाक लेल सेहो नहि पहुंचल, जाहिक बाद हुनकर तीनो बेटी खुद हुनकर अर्थी क' कंधा दैत हुनका श्मशान घाट ल' गेली आओर मुखाग्नि दैत संतान होयबाक फर्ज निभेली। जखन बेटी सभ अप्पन पिता केर लाश क' कंधा पर ल' जायत छली तेँ रास्ता भरी सभक मुंह सँ एतबे बात सुनबाक लेल भेटैत छल कि यदि सभ बेटी एहने हुवे तँ बेटाक कुन जरुरत।

जहानाबाद के पुरनका सिविल कोर्ट के पाछू घटल एहि घटना पर ग्रामीण सभ कहलनि कि विनोद कुमार केर मौतक बाद ओहि सभय हुनकर बेटी सभ टुइट गेली जखन हुनकर भाई अप्पन पिता केर लाश क' देखा तक नहि पहुंचल। विनोद कुमार के मौत ब्रेन हेमरेज केर कारण भेल छल। जाहिक बाद हुनकर तीनो बेटी हुनकर अर्थी क' कंधा देलनि आओर अंतिम विदाई देबाक फैसला केलनि। जखन एहि बातक खबैर ग्रामीण सभके पड़ल तेँ वॉर्ड पार्षद केर पति राजीव कुमार, बाड़ू यादव पहुंचला आओर बच्चिया सभक संग अर्थी क' कंधा द' जहानाबाद के गौरी घाट ल' गेला। जता हुनकर बेटी सभ अंतिम संस्कार केलनि।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।