संगठन द्वारा हर एक डेग उठाओल जाय जाहिसँ समाजक कल्याण होय एहि ल'के दहेज़ मुक्त भारत समिति केर केंद्रीय सचिवालय मेट्रो स्थित मुख्यालय गेट न.3 पर कैल्हि भेल बैसार मे दहेज मुक्त बिआह ल'के दिल्ली मे सेहो एक टीम बनाओल गेल आओर ओहि पर विचार-विमर्श कायल गेल।
संगठन के राष्ट्रीय अध्यक्ष श्री आनद झा संपर्क सूत्र केर माध्यम सँ लाइव भ' बैसार मे कहलनि कि आजुक समय मे समाजक तनावपूर्ण वातावरण मे दहेज मुक्त बिआह केर आयोजन बहुत जरुरी अछि। देशक सभ राज्य आओर जिलाक सामाजिक द्वारा कायल जे रहल सामूहिक बिआह केर आयोजन प्रशंसनीय अछि।
कैल्हि के बैसार म' उपस्थित बिनय झा, विनय चौधरी, हेम चन्द्र झा उपस्थित गणमान्य लोकनि सँ आह्वान केलनि कि आगामी 24 दिसंबर क' होमै बला बैसार म' सभकियो उपस्थित रही। दहेज मुक्त भारत संगठन केर सदस्य मिहिर झा कहलनि कि सामूहिक दहेज मुक्त बिआह एक एहेन आयोजन अछि जाहिसँ समाजक बीच नीक सनेस जायत अछि।
कैल्हि के बैसार मे आशीष कुमार झा, सुरजीत झा, अशोक झा, राज नारायण झा, सुमन कुमार झा, अमर कांत झा, बिनोद राय, श्रवण कुमार, रामानन्द भारती, कुमार बिघ्नेस झा, आशुतोष झा, अनीस कुमार झा आदि अप्पन विचार व्यक्त केलनि।
1 टिप्पणियाँ
दिल्ली में मिथिलाक बैसार - कि "बीरबल की खिचड़ी" - अरे _ बाबा !! जमीनी सतह पर कोनो चर्चाक आसार सराहनीय?
जवाब देंहटाएंमिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।