इंटर परीक्षा 2018 : फॉर्म भरबाक तारीख केर घोषणा भेल

पटना। 25 नवम्बर। बिहार मे इंटर परीक्षा 2018 लेल फार्म भरबाक तारीख केर घोषित क' देल गेल अछि। इंटर के छात्र/छात्रा 3 दिसंबर सँ 9 दिसंबर धरी फॉर्म भरी सकैत छथि। फॉर्म भरबा मे भेल देरी पर फाइन संग  10 सँ11 दिसंबर धरी फॉर्म भरल जायत।

बिहार विद्यालय परीक्षा समिति (बीएसईबी ) एहि बेर घोषणा केना अछि कि छात्र वसुधा केंद्र पर सेहो फॉर्म भरी सकैत छथि। वसुधा केंद्र पर स्कूल सँ कुनू तरहक चार्ज नहि लेल जायत। बीएसईबी केर अध्यक्ष आनंद किशोर कहलनि कि बरख  2018 मे इंटर परीक्षा मे शामिल होमै बला छात्र अगामी 3 दिसंबर सँ 9 दिसंबर धरी फॉर्म भरी सकैत छथि। ओतहि 10 सँ 11 दिसंबर धरी लेट फाइन संग फॉर्म भरल जायत। 

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ