प्राप्त खबैर केर मुताबिक़ पूर्व-मध्य रेलवे द्वारा पटना सँ दिल्ली जाय बला महत्वपूर्ण ट्रेन "संपूर्ण क्रांति एक्सप्रेस" क' कैको दिनक लेल रद कायल गेल अछि। भेटल जानकारी केर मुताविक संपूर्ण क्रांति एक्सप्रेस दिसम्बर सँ ल'के फ़रवरी माहक बीच दुनू दिससँ 10-10 दिनक लेल रद रहत।
एक नजैर कहिया - कहिया रद रहत संपूर्ण क्रांति एक्सप्रेस;
पटना सँ दिल्ली (12393) - संपूर्ण क्रांति एक्सप्रेस दिसंबर माह मे 6, 13, 20, 27 दिसंबर क' रद रहत। जनवरी मे 3, 10, 17, 24, 31 जनवरी क' आओर फेर फ़रवरी मे 7 तारीख क' रद रहत।
दिल्ली सँ पटना (12394) - संपूर्ण क्रांति एक्सप्रेस दिसंबर माह मे 7, 14, 21, 28 दिसंबर क' रद रहत। जनवरी मे 4, 11, 18, 25 जनवरी क' आओर फ़रवरी मे 1 आ 8 तारीख क' सेहो रद रहत।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।