पटना। 29 नवम्बर। संजय लीला भंसाली केँ फिल्म 'पद्मावती' लेल मुसीवत खत्म होयबाक नाम नहि ल' रहल अछि। राजस्थान, गुजरात, उत्तर प्रदेश आओर मध्य प्रदेश मे फिल्म पर पहिने सँ तलवार लटकल अछि। अब बिहार मे सेहो फिल्म क' बैन कायल गेल अछि।
मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कहलनि कि राज्य मे फिल्म 'पद्मावती' ताधरी रिलीज नहि होयत जाधरि सभ पार्टी ऐहिक ल'के कोनो निष्कर्ष पर नहि पहुँचत। बिहार के खेलमंत्री कृष्ण कुमार ऋषि कहलनि कि जाधरि पद्मावती सँ विवादित दृश्य निकालल नहि जायत ताधरि फिल्म राज्य मे रिलीज नहि होयत।
अपने क' बता दी ई फैसला एहेन समय म' आयल अछि जखन एक दिन पहिने सुप्रीम कोर्ट एहि मामला म' मुख्यमंत्री सभके फटकार लगेना छल। एहि मामला पर सुप्रीम कोर्ट कहने छल कि मुख्यमंत्री कुनु फिल्म पर बैन नहि लगा सकैत छथि। एहि संगे सुप्रीम कोर्ट द्वारा मुख्यमंत्री सभके फिल्मक खिलाफ गलत माहौल नहि बनेबाक लेल कहल गेल छल।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।