समस्तीपुर : खंडहर बनल उप स्वास्थ्य केंद्र, नहि आबैत अछि डॉक्टर नहिये कोनो कर्मी

समस्तीपुर। 29 नवम्बर।[प्रणव कुमार चौधरी] सरकार भलहि स्वास्थ्य सुविधा क' नीक करबाक दावा ठोकी रहल अछि, मूदा एखनो कैको प्रखंड मे मौजूद उप स्वास्थ्य केंद्र सभक बिगरल व्यवस्था सरकारक ओहि दावा केँ झुठला रहल अछि, आब सवाल ई उठैत अछि कि स्वास्थ्य सुविधा मे एतेक बड़का पैमाना पर अनियमितता रोगी सभके कुन हाल मे छोड़त।

हम अपने क' कल्याणपुर प्रखंडक कोयला कुंड उप स्वास्थ्य केंद्र आओर वारिसनगर प्रखंडक बाबूबरही उप स्वास्थ्य केंद केर बदहाली दिस ध्यान केंद्रित करे चाहैत छी। जर्जर भवन, टूटल-फटुल भीतरक सामान, इए अछि एहिठामक स्वास्थ्य व्यवस्था आओर एहि कारण सँ ऐही क्षेत्रक रोगी भगवान भरोसे रहैत छथि। अपने क' बता दी ई उप स्वास्थ्य केंद्र कैको दसक सँ एहि स्थिति मे पड़ल अछि।


स्थानीय निवासी शशिशेखर सिंह कहलनि कि स्वास्थ्य सुविधा केर जरुरत क' देखैत चौरासी के दशक मे एहि उप स्वास्थ्य केंद्र केर निर्माण भेल छल। मुदा विभागक लापरवाही केर कारण ई उप स्वास्थ्य केन्द्र सदिखन उपेक्षित रहल, जे अब खंडहर मे बदैल क' अप्पन विकास केर बाट जोहि रहल अछि। 

अपने क' बता दी एहि उप स्वास्थ्य केंद्र मे दू डॉक्टर छह कर्मी आओर छह बेड स्थापित कायल गेल छल। ओही समय 5000 आवादी बला कोयला कुंड गामक अलावा आस-पास के कैको गामक लोग एहि उप स्वास्थ्य केंद्र सन लाभान्वित होयत छल। मुदा आब इलाजक अभाव मे ग्रामीण सभ  दम तोइड़ रहल अछि। जखनकि ऐता डॉक्टर आ कर्मि सभ नियुक्त अछि, मुदा ओ सभ कहियो नहि आबैत छथि। 

ओतैई, इलाजक लेल ग्रामीण सभके 15 सँ 20 किलोमीटर धरिक चक्कर  लगबे पड़ैत अछि। स्थानीय लोग सभ एहि उप स्वास्थ्य केंद्र ल'के बहुत चिंतित छथि आओर अप्पन नीजी जमीन सेहो स्वास्थ्य केंद्र क' देबाक लेल चाहैत छथि। तद्यपि अधिकारी सभक लापरवाही केर चलते किछू नहि भ' पाएब रहल अछि। 

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ