मुजफ्फरपुर। 04 नवम्बर। मुजफ्फरपुर मे एक ट्रेन यात्री युवक केँ संग बड्ड दर्दनाक घटना घटल। प्राप्त खबैर केँ मुताविक ट्रेन सँ उतरबाक क्रम म' युवक चंदन केँ दुनू टांग कैट गेल। चंदन क' गंभीर हालत मे सदर अस्पताल ल' जायल गेल जता सँ हुनका एसकेएमसीएच रेफर कायल गेल अछि। चंदन समस्तीपुर केँ मथुरापुर गामक रहिवासी छथि आ मुजफ्फरपुर केँ एक मॉल मे काम करैत रहथिन।
चंदन समस्तीपुर सँ पैसेन्जर ट्रेन से आबैत रहथिन। काजी मोहम्मदपुर थाना के आमगोला लग जखन ट्रेन रुकल तेँ ओ ट्रेन सँ उतरे लागला। एहि बीच ट्रेन चैल देलक जाहि सँ ओ खैस पड़ला आओर ई घटना घटल।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।