गंगा स्नान करबाक दौरान सिमरिया घाट पर भेल भगदड़ मे 3 केर मौत

बेगुसराय। 04 नवम्बर। आय जता एक दिश पूरा देश मे "कार्तिक पूर्णिमा" पर श्रद्धालु सभ गंगा घाट पर पूजा अर्चना करि गंगा स्नान केलनि। ओतहि सिमरिया घाट पर एहि दौरान भगदड़ मचि गेल, जाहिमे तीन महिला केर मौत भ' गेलनि आओर कैको घायल बताओल जे रहल अछि। 


सिमरिया थाना अध्यक्ष राजरत्न द्वारा तीन महिलाक मौतक पुष्टि कायल गेल अछि। मृतिका तीनो मैहला म' एक महिला नालंदा जिलाक सुंदरपुर गामक कंचन देवी बताओल जे रहल अछि। आन दुनू केर पहिचान एखन धरी नहि भ' सकल अछि। सिमरिया घाट पर भेल भगदड़ पर दुःख व्यक्त करैत मुख्यमंत्री नीतीश कुमार मृतिका केँ परिजन सभके चारि-चारि लाख टाका अनुग्रह अनुदान देबाक घोषणा कएलनि।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ