सहरसा : नव पदास्थापित एसडीओ "प्रशांत कुमार" के संग डीएम केलनि मत्स्यगंधा केर निरीक्षण

सहरसा। 04 नवम्बर। नव पदास्थापित एसडीओ प्रशांत कुमार चिलुका के संग अनौपचारिक बैठक करि जिलाधिकारी विनोद सिंह गुंजियाल द्वारा पूर्व एसडीओ सौरभ जोरवाल केर सहयोग सँ जिला मुख्यालय मे कायल गेल काजक सम्पूर्ण जानकारी हुनका देलनि। जिलाधिकारी विनोद सिंह गुंजियाल पूर्व एसडीओ सौरभ जोरवाल द्वारा शहर मे अतिक्रमण केर समस्या, सब्जी बाजार, सुपर बाजार के लेल कायल गेल काज, मत्स्यगंधा जलाशय केर सफाई आओरजीर्णोद्धार व जलनिकासी केर संबंध मे विस्तार पूर्वक हुनका  जानकारी देलनि, तत्पश्चात डीएम पूर्व एसडीओ सौरभ जोरवाल आओर नव पदास्थापित एसडीओ केँ संग मत्स्यगंधा जलाशय केर निरीक्षण केलनि। 

जिलाधिकारी विनोद सिंह गुंजियाल नव पदास्थापित एसडीओ प्रशांत कुमार चिलुका क' मत्स्यगंधा जलाशय लेल जिला प्रशासन द्वारा बनाओल गेल रणनीति केर संबंध म' सभ जानकारी देलनि। एहि मौका पर नप के कार्यपालक पदाधिकारी नीलाभ कृष्ण, रक्तकाली मंदिर केर व्यवस्थापक कुमार हीरा प्रभाकर समेत आन लोग उपस्थित छला। 

अपने क' बता दी मत्स्यगंधा जलाशय मे 27 अक्टूबर सँ छह वोटक माध्यम सँ शुरू कायल गेल नौका विहार मे 1 नवंबर तक 47 हजार 840 टाकाक आमदनी भेल अछि। एहिलेल छह वोट केर खरीददारी मे  243600   टाका आओर 4 शिकारा नाह पर40000 टाका खर्च कायल गेल छल। जिलाधिकारी केर निर्देशानुसार आओर 8 नवा वोट किनबाक लेल 310100 टाका भेजल गेल अछि।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ