7 दिसंबर सँ नीतीश कुमार विकास यात्रा पर निकलता। विकास यात्रा केर शुरुआत पूर्वी चंपारण से होयत। एहि यात्रा केर मुख्य उद्देश्य राज्य मे भ' रहल विभिन्न विकास काज आओर योजना सभक समीक्षा करब अछि। एहि दौरान मुख्यमंत्री राज्यक सभ जिला मे एक दिन आम सभा केर आयोजन करता आ गाम सभमे चैल रहल विकास योजना सभक समीक्षा करता।
मुख्यमंत्री नीतीश कुमार एहि यात्रा केर दौरान गाम - गाम केर दौरा आ गामक अधिकारी सभक संग बैसार करी विकास काज सभक समीक्षा केँ निर्णय लेना छथि। 7 दिसंबर सँ शुरू होमै बला विकास यात्रा 18 जनवरी धरी चलत। 7 आ 8 दिसंबर क' मुख्यमंत्री पूर्वी चंपारण आओर पश्चिम चंपारण केर यात्रा पर रहता। 13 सँ 16 दिसंबर के बीच सीतामढ़ी, शिवहर, मुजफ्फरपुर, मधुबनी, दरभंगा, समस्तीपुर आओर वैशाली केँ यात्राक कार्यक्रम अछि। 20 सँ 22 दिसंबर के बीच मुख्यमंत्री बांका, भागलपुर, पूर्णिया, अररिया, किशनगंज आओर कटिहार केर यात्रा पर रहता।
ओहिक बाद बीच मे मुख्यमंत्री पटना म' रहता आ फेर 27 सँ 29 दिसंबर क' मुख्यमंत्री जमुई, शेखपुरा, मुंगेर, लखीसराय आओर नालंदा केर यात्रा पर रहता। 4 सँ 6 जनवरी क' मुख्यमंत्री मधेपुरा, सहरसा, सुपौल, खगड़िया आओर बेगूसराय केर दौरा करता। 10 सँ 13 जनवरी के बीच गोपालगंज, सिवान, छपरा, भोजपुर, बक्सर, कैमूर आओर रोहतास केर यात्रा पर रहता। 16 सँ 18 जनवरी के बीच मुख्यमंत्री नवादा, गया, औरंगाबाद आओर जहानाबाद केर यात्रा पर रहता।
मुख्यमंत्री नीतीश कुमार केँ प्रस्तावित यात्रा विकास काज सभक समीक्षा यात्रा कार्यक्रम केर संबंध मे मंत्रिमंडल सचिवालय विभाग के प्रधान सचिव ब्रजेश मेहरोत्रा सभ संबंधित विभाग, जिलाधिकारी, पुलिस अधीक्षक सभक अलावा प्रमंडलीय आयुक्त, पुलिस महानिरीक्षक, पुलिस उपमहानिरीक्षक, संबंधित आदेश जारी क' देना छथि।
नीतीश कुमार एहि दौरा मे मुख्यमंत्री केँ नाम सँ चैल रहल योजना, यथा सात निश्चय केर अलावा शराबबंदी, बाल विवाह विरोध आओर दहेज उम्मूलन के चलाओल जे रहल प्रयास सभक समीक्षा करता। संगहि मुख्यमंत्री बिहार लोक शिकायत निवारण कानून केर क्रियान्वयन, बिहार लोक सेवा अधिकार कानून केर क्रियान्वयन सभक सेहो समीक्षा करता। नीतीश कुमार योजना सभक समीक्षा के संगे संग चुनाव केर दौरान कायल गेल अप्पन घोषणा के काज सभक सेहो जायजा लेता। सभ जिला मे समीक्षा कार्यक्रम सभक आयोजन जिलाधिकारी द्वारा कायल जायत आओर संबंधित जिला सँ जुड़ल तमाम योजना सभक मुख्यमंत्री समीक्षा करता।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।