चुनाव आयोग आओर हाईकोर्ट केर झटका केँ बाद शरद यादव बनेता नवा पार्टी

पटना। 28 नवम्बर। जदयू सँ असंतुष्ट शरद गुट गुजरात चुनाव केँ बाद नवा पार्टी बनेबाक एलान केना अछि। शरद गुट गुजरात मे कांग्रेस के संग मिलके चुनाव लैड़ रहल अछि। एहिसँ पहिने चुनाव आयोग द्वारा जदयू केर  चुनाव चिह्न पर हुनका सभक दावा खारिज क' देना छल।

जदयू केँ शरद यादव गुटक महासचिव अरुण श्रीवास्तव कहलनि कि गुजरात मे हुनका सभक इकलौता विधायक छोटू वसाया भारतीय ट्राइबल पार्टी केर बैनर तर चुनाव लैड़ रहल अछि आओर पार्टी केर चुनाव चिह्न ऑटो रिक्शा अछि। छोटू वसाया शरद गुटक कार्यकारी अध्यक्ष बनाओल गेल छथि मुदा नीतीश कुमार के गुटक तीर चुनाव चिह्न पर दावेदारी क' चुनाव आयोग सँ मंजूरी भेटलाक बाद नवा पार्टी केर गठन केलनि। 

शरद यादव केर अध्यक्षता मे गुटक राष्ट्रीय कार्यकारिणी केर बैसार भेल।  जाहिक बाद श्रीवास्तव कहलनि कि गुजरात चुनाव के बाद गुट एक सम्मेलन केर आयोजित करत आ एक नवा पार्टी बनायत।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ