पटना - मुगलसराय डाउन रेल ट्रैक मे दरार सँ ट्रेन सभक परिचालन बाधित

पटना। 28 नवम्बर। पटना -मुगलसराय रेलखंड के कुल्हड़िया व पाली के बीच डाउन ट्रैक मे आय भोर दरार आएब गेल जाहिसँ ट्रेन सभक परिचालन बाधित बताओल जे रहल अछि। ट्रेन सभक परिचालन बाधित भेला सँ दैनिक सँ ल'के नमहर दूरी तकक यात्री सभ परेशान अछि। रेल सूत्रीक मुताबिक़ ट्रैक केर मरम्मत काज शुरू भ' गेल अछि, जल्दे परिचालन शुरू होयबाक सम्भावना अछि।

ट्रैक मे आयल दरार के कारण कुलहड़िया मे बीकानेर- गोहाटी एक्सप्रेस, आरा मे सम्पूर्ण क्रांति मेन लाइन व साहेब शटल सवारी गाड़ी लूप पर, कारीसाथ मे बनारस एेक्सप्रेस, बिहिया मे पटना- कुर्ला एक्सप्रेस, बनाही मे संघमित्रा एक्सप्रेस ठाढ़ अछि। आधा दर्जन सवारी, एक्सप्रेस व मेल ट्रेन सभक एकाएक जता - तता ठाढ़ भेला सँ रेल मंडल मे अफरातफरी केर माहौल अछि। दैनिक यात्री अप्पन - अप्पन कार्यालय पहुँचबाक लेकर  परेशान देखकर देलथि। 

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ