मधुबनी : मानवता क' शर्मसार कराई बला वारदात, तीन बच्चा केर बाप केलनि नाबालिग सँ दुष्कर्म केर प्रयास

मधुबनी। 27 नवम्बर। हरलाखी थाना केँ सिसौनी गाम अंतर्गत महादलित टोला मे मानवता क' शर्मसार कराई बला वारदात सामना आयल अछि। प्राप्त खबैर केर मुताबिक तीन बच्चा केर बाप द्वारा सात बरखक मासूम क' अप्पन हवस केर शिकार बनेबाक कोशिश कायल गेल। ओनाकि, ग्रामीण सभक पहुँचलाक बाद असफल आरोपी फरार भ' गेलथि।

बताओल जे रहल अछि कि आरोपी शिवशंकर द्वारा पड़ोस के सात बरखक बच्ची क' बहला फुसला खेत म' ल' जायल गेल। जता शिवशंकर नाबालिग संग दुष्कर्म केर प्रयास करैत रहथिन, मुदा बच्ची केर चिकरैक आवाज पर ऐन मौका पर ग्रामीण सभ ओता पहुँचल आओर ग्रामीण सभके देख आरोपी फरार भ' गेलथि। 

पीड़ित बच्ची सिसौनी गाम मे अप्पन नानी घर रहैत छली। प्राप्त जानकारी केर मुताबिक पड़ोसी शिवशंकर सादा पीड़िता क' पहिने बहला फुसला बगल के खेत मे ल' गेलनि आओर हुनकर गर्दैन दाबी दुष्कर्म करबाक प्रयास केलनि। बच्ची केर चिकरैक आवाज पर ऐन मौका पर ग्रामीण सभ ओता पहुँचल आओर ग्रामीण सभके देख आरोपी फरार भ' गेलथि। 

बताओल जे रहल अछि कि आरोपी शिवशंकर पहिने सँ शादीशुदा आ तीन बच्चा के बाप छथि। परिजन सभ बच्ची केर संग हरलाखी थाना पहुंच एहि मामला केर पूरा जानकारी दैत लिखित शिकायत दर्ज करौलनि अछि।  परिजन सभक आरोप अछि कि घटना के कैको दिन बीत जेबाक बादो पुलिस एहि मामला मे कोनो कार्रवाई नहि केना अछि, जाहिसँ आरोपी शिवशंकर एखनहुँ पुलिस केर गिरफ्त सँ बाहर छथि। पीड़िता के परिजन पुलिस प्रशासन केर असंवेदनशील रवैया सँ क्षुब्ध छथि। 

ओनाकि एहि बाबत थानाध्यक्ष संजय कुमार कहलनि कि घटना केर  लिखित शिकायत भेटल अछि आओर एहि मामला के गंभीरता सँ जांच कायल जे रहल अछि। थानाध्यक्ष आशव्स्त केलनि कि दोषी पायल गेलाक बाद आरोपी पर सख्त कार्रवाई कायल जायत। 

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ