
पटना। 06 नवम्बर। कैल्हि रवि दिन पटना गंगा नदि मे फेर भेल एक बड़का हादसा भेल। राजधानी सँ सटल फतुहा स्थित मस्ताना घाट पर ई हादसा भेल अछि। एहि हादसा मे गंगा नदी मे डूबला सँ 9 लोगक मरबाक खबैर अछि, जखन की दू गोटा एखनहुँ लापता बताओल जे रहल अछि।
प्राप्त खबैर केर मुताविक कार्तिक पूर्णिमा खत्म होयबाक बाद लोग पिकनिक मनबे मस्ताना घाट पहुंचल छथि। एहिठाम किछु गोटा गंगा मे नहबे उतरलनि। बताओल जे रहल अछि कि नहेबाक क्रम मे 11 गोटा बालू निकालबाक कारण बनल खधैर म' एक संग चल गेलथि आओर सभ कियो ओहि मे डूबी गेलथि। जहिंमे एखन धरी 9 गोटाक शव क' बाहर निकालल जे चुकल अछि। ओतहि दू गोटाक तलाश एखनहुँ जारी अछि। शव मे एक महिला आओर आठ बच्चा शामिल अछि।
मौके पर फतुहा थानाध्यक्ष नसीम अहमद के संग राहत दल मौजूद अछि। गौरतलब अछि कि हर भरखक भांति एहियो बरख कार्तिक पूर्णिमा खत्म भेला पर लोग सभ गंगा मे नहा पूजा पाठ करैत अछि आ फेर ओहिठा भोजन करैत अछि। ई एहिठामक बहुत पुरान परंपरा अछि। कैल्हि केर घटना में सभ मृतक फतुहा के नोहटा निवासी शंकर यादव केर पत्नी आओर हुनकर छोट भाई बिहारी यादव केँ बच्चा बताओल जे रहल अछि। पटना के डीएम संजय कुमार अग्रवाल कहलनि कि सभ मरै बला के परिजन सभके चारि - चारि लाख टाका मुआवजा देल जायत।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।