बरौनी बिजलीघर केँ पहिल नवा यूनिट बैन केँ तैयार, अगिला माह सँ भेटत बिजली

बरौनी। 22 नवम्बर। बरौनी बिजलीघर केँ 250 मेगावाट क्षमता बला नवा  बैन केँ तैयार भ' गेल अछि। ऐहिक ट्रायल रन सेहो सफल रहल। सभ किछु ठीक रहल तेँ अगिला माह सँ एता बिजली उत्पादन होमे लागत। बरौनी बिजलीघर क' अप्रैल मे गंगाजल भेटत छल आओर 6 माह केर भीतर निर्माण पूरा करबाक लक्ष्य तय कायल गेल छल। एहि कार्ययोजना केर  तहत बरौनी बिजलीघर के यूनिट 8 केर निर्माण पूरा क' लेल गेल अछि।  व्यावसायिक उत्पादन शुरू भेलाक बाद एहिसँ बिहार क' 250 मेगावाट बिजली भेटत। अगिला माह ट्रायल मे एहिसँ 250 मेगावाट बिजली उत्पादन कायल जायत। 

नीतीश सरकारक गठन केँ बाद राज्य सरकार द्वारा वर्ष 2007-08 मे बरौनी मे नवा यूनिट केर निर्माण लेल गेल छल। एहि आधार पर भेल कंपनी क' ई जिम्मेवारी सौपल गेल छल। भेल ओता 250-250 मेगावाट क्षमता केर दू नवा यूनिट (संख्या- 8 व 9) केर निर्माण क' रहल अछि। दुनू यूनिट केर निर्माण पर 5308 करोड़ टाका खर्च होयत। पहिने ऐहिक निर्माण लेल 3300 करोड़ टाका केर राशि आवंटित कायल गेल छल। बाद मे ऐहिके बढ़ाओल गेल।

ऐहिक निर्माण मे कैको बाधा छल। सभसँ बड़का बाधा पैनक छल। गंगाजल भेटलाक बाद ई अवरोध दूर भ' गेल। ओम्हर, बिजलीघर केँ पुरनका यूनिट केर जीर्णोद्धार व आधुनिकीकरण मे आएब रहल तकनीकी बाधा सभक कारण सेहो नवा यूनिट केर निर्माण सेहो अपेक्षित गति नहि पकड़ी पाएब रहल छल।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ