बिहार कांग्रेस कमिटी केर तत्वावधान मे पूर्व प्रधानमंत्री स्वर्गीय इंदिरा गांधी केर शताब्दी जयंती समारोह मनाओल गेल

पटना। 22 नवम्बर। बिहार प्रदेश कांग्रेस कमिटी केर तत्वावधान मे पूर्व प्रधानमंत्री स्वर्गीय इंदिरा गांधी केर शताब्दी जयंती समारोह राजधानी पटना मे समारोहपूर्वक मनाओल गेल। श्रीकृष्ण मेमोरियल हॉल में आयोजित कार्यक्रम क' ”100 years  A Great ful Nation Remembers  Indira Gandhi” नाम देल गेल छल। एहि मौका पर बिहार कांग्रेस के सभ दिग्गज नेता केर जुटान भेल छल। 

कार्यक्रम केर उद्घाटन हरियाणा के रोहतक सँ सांसद दीपेंद्र हुड्डा केलनि ओतहि मुख्य अतिथि केर रूप मे अखिल भारतीय कांग्रेस कमिटी केर  सचिव सह सांसद रंजीता रंजन आओर एल शर्मा उपस्थित छलथि। आमंत्रित नेता लोकनि वंदे मातरम गीतक संग स्वर्गीय गांधी केर फोटो पर  माल्यार्पण करी श्रद्धा सुमन अर्पित केलनि। 

अप्पन अध्यक्षीय भाषण मे कौकब कादरी इंदिरा गांधी क' रणचंडी आओर  दुर्गा बतबैत कहलनि कि इंदिरा जेहन नेता न भूतों न भविष्यति होयत। कादरी इंदिरा गांधी क' एक अवतारक संज्ञा देलनि। ऐहिक संगे बतौर प्रधानमंत्री इंदिरा के योगदान पर चर्चा केलनि।

समारोह केर अध्यक्षता प्रदेश कांग्रेस अध्यक्ष कौकब कादरी केलनि तेँ पूर्व अध्यक्ष डॉ. अशोक चौधरी आओर हुनकर समर्थक सभ नदारद रहला। उपस्थित नेता सभमे पूर्व राज्यपाल निखिल कुमार, सदानन्द सिंह, डॉ शकील अहमद, डॉ अशोक कुमार राम, डॉ अखिलेश सिंह, मदन मोहन झा, अवधेश कुमार सिंह, रामदेव राय, अनिल शर्मा, प्रेमचन्द्र मिश्रा, डॉ समीर कुमार, भावना झा, राजेश राम, कुमार आशीष,  मिन्नत रहमानी, संजीव कुमार, मनजीत आनन्द साहू, अखिलेश त्रिपाठी, प्रकाश कुमार सिंह , विश्वजीत सिंह आदि उपस्थित छलथि।

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने