मुंबई। 23 नवम्बर। [जितमोहन झा (जितू)] हिंदू पंचांग केर मुताबिक मार्गशीर्ष माह केर शुक्ल पक्षक पंचमी कए विवाह पंचमी मनाओल जायत अछि। एहेन मान्यता अछि कि पंचमी केर दिन भगवान श्री राम आओर मैया सीता केर विवाह भेल छल। ऐहिक लेल विवाह पंचमी कए भगवान श्री राम केर विवाहोत्सव केर रुप मे मनाओल जायत अछि।
पौराणिक कथा केर मुताबिक मानल जायत अछि कि मैया सीता राजा जनक केर पुत्री छली जे मिथिला राज्य केँ राजा छलाह, ऐहिक लेल ई पर्व उत्साहक संग अयोध्या आओर जनकपुरी यानि नेपाल मे मनाओल जायत अछि। हिंदू धर्म केर मुताबिक एहि दिन भगवान श्री राम आओर मैया सीता केर विवाह करायब शुभ मानल जायत अछि। एहि परख विवाह पंचमी केर पर्व आय 23 नवंबर क' अछि। एहि पर्व केर तैयारी जनकपुर आओर पश्चिमी उत्तर प्रदेश केर प्रमुख मंदिर सभमे पछिला एक सप्ताह सँ कायल जे रहल अछि।
विवाह पंचमी दिन श्रद्धा सँ भगवान श्री राम आओर मैया सीता केर पूजा केला सँ एहि तरहक वरदान भेट सकैत अछि
- यदि किनको विवाह मे बाधा आबैत अछि तेँ ओ बाधा दूर भ' जायत अछि।
- मनपसंद विवाह केर वरदान सेहो भेटैत अछि।
- वैवाहिक जिनगी केर समस्या सभक अंत सेहो भ' जायत अछि।
- यदि किनको विवाह मे बाधा आबैत अछि तेँ ओ बाधा दूर भ' जायत अछि।
- मनपसंद विवाह केर वरदान सेहो भेटैत अछि।
- वैवाहिक जिनगी केर समस्या सभक अंत सेहो भ' जायत अछि।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।