प्राप्त खबैर केर मुताबिक सरायरंजन पुलिस क' भेटल गुप्त सूचना केर आधार पर ई कार्रवाई कायल गेल छल। जानकारी केर मुताबिक स्थानीय पुलिस क' भारी मात्रा मे शराब तस्कर सभक सूचना भेटल छल। सूचना के मद्देनजर कार्रवाई करे पहुंचल बिहार मिलिट्री पुलिस के हवलदार अनिल कुमार आओर सरायरंजन थाना प्रभारी पर अपराधी सभ हमला क' देलनि।
अपने क' बता दी पछिला किछु दिन सँ शराब आओर आन नशीला पदार्थ भारी मात्रा मे बरामद आओर जब्त कायल जे रहल छल। एहि कड़ी मे शराब केर बड़का खेप उतरबाक जानकारी भेटला पर कार्रवाई के लेल पुलिस टीम पहुंचल छल। पुलिस आओर अपराधी सभक बीच मुठभेड़ केर सुचना भेटते एसपी दीपक रंजन पुलिस बल केर संग घटनास्थल पर पहुंच मामला केर छानबीन केलनि।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।