सहरसा। 28 नवम्बर। गुप्त सूचना केर आधार पर पुलिस द्वारा महिषी थाना क्षेत्र के राजनपुर गाम सँ रामप्रवेश साह नामक व्यक्ति केर घर सँ तकरीबन 4 क्विंटल गांजा समेत डेढ़ लाख सँ बेसी नकदी बरामद कायल गेल, संगहि एक कारोबारी क' सेहो गिरफ्तार कायल गेल।
प्राप्त खबैर केर मुताबिक नशा मुक्ति दिवस पर जिला प्रशासन के कार्रवाई मे सफलता भेटल अछि। सदर एसडीओ प्रशांत कुमार आओर एसडीपीओ प्रभाकर तिवारी केर नेतृत्व मे छापामारी केर दौरान भारी मात्रा मे गांजा बरामद कायल गेल अछि। ओतहि छापामारी सँ पूरा इलाका मे हड़कंप मचल अछि।
अपने क' बता दी कोसी केर कछार मे बसल राजनपुर गाम मे एतेक बड़का गांजा के खेप भेटब साबित करैत अछि कि ऐहिक धंधा एहि इलाका मे खूब चैल रहल अछि। एता एक छोट बाजार सेहो अछि जता तटबंधक भीतरी इलाका के लोगक बीच एहि तरहक नशीला पदार्थ क' खपायल जायत अछि। ई इलाका नशीला पदार्थक कारोबार लेल बहुत फेमस अछि। ओनाकि एहि छापामारी मे एक कारोबारी फरार होमै मे सफल रहला। जिनकर गिरफ्तारी के लेल लगातार छापामारी कायल जे रहल अछि।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।