शराबबंदी सँ अपराध मे कमी आयल, नुका क' शराब बेचनिहार पर होयत सख्त कार्रवाई : नीतीश कुमार

पटना। 27 नवम्बर। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार शराबबंदी क' ऐतिहासिक डेग बतबैत कहलनि कि प्रदेश म' शराब पर बैन लगला सँ समाज मे सकारात्मक बदलाव आयल अछि। आगा ओ कहलनि कि सरकार एहेन लोग सभ पर सख्त कार्रवाई करत जे शराबबंदी सँ सम्बंधित कानून तोईड़ रहल छथि। 

नीतीश कुमार कहलनि कि प्रदेश म' शराबबंदी सँ घरेलू हिंसा आओर सड़क दुर्घटना समेत कैको अपराध में कमी आयल अछि। पहिने मानसिक हिंसा केर प्रतिशत 79 छल जे आब मात्र 11 प्रतिशत रही गेल अछि। 

नीतीश कुमार अप्पन विरोधी सभ पर निशाना साधैत कहलनि कि किछु लोग कहैत छथि कि शराबबंदी केर फैसला फेल भ' गेल अछि आ ऐहिके वापस ल' लेबाक चाही, लेकिन एहेन लोग सभके ई याद रखबाक चाही कि कानून क' मात्र एहि लेल नहि रोकल जे सकैत अछि किएक जे एहिमे अपराध नहि रुकत।

किछु जगह नियम सभक उल्लंघन के ई मतलब नहि अछि कि कानूनी एजेंसी अप्पन काज ठीक सँ नहि क' रहल अछि। नीतीश कुमार आगा कहलनि कि शराबबंदी केर मामला पर भेदभाव नहि कायल गेल। हम सभ सरकारी अधिकारी आओर पुलिस सभके सेहो कोनो छूट नहि देलहुँ। अगबे पुलिस विभाग केर बात कायल जाय तेँ एखन धरी 242 गोटाक खिलाफ कार्रवाई कायल गेल, 29 गोटा के डिसमिस कायल गेल आओर 80 गोटा के  जेल भेजल गेल।

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने