पटना। 21 नवम्बर। बिहार बीजेपी केर अध्यक्ष नित्यानंद राय एक विवादित बयान देलनि। कैल्हि सोम दिन OBC समुदाय केँ एक कार्यक्रम क' संबोधित करैत उजियारपुर लोकसभा सीट सँ सांसद नित्यानंद राय कहलनि कि प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी कठिन परिस्थिति मे देशक नेतृत्व क' रहल छथि। ई हमरा सभक लेल गौरव केँ बात अछि। यदि हुनका ऊपर केओ आंगुर वा हाथ उठेता तेँ ओहिके टोएर वा काटी देल जायत। एहि दरमियान बिहार के उपमुख्यमंत्री आओर भाजपा के वरिष्ठ नेता सुशील मोदी सेहो मंच पर मौजूद छला।
नित्यानंद राय के एहि विवादित बयान पर जखन विवाद बढे लागल तेँ ओ सफाई दैत कहलनि कि हम्मर बयान केर गलत मतलब निकालल गेल अछि। हमर कहबाक तात्पर्य ई छल कि देशक आन आओर सुरक्षा पर सवाल उठेनिहार सभसँ कड़ाई सँ निपटल जायत। एहि बीच राष्ट्रीय जनता दल केर अध्यक्ष लालू प्रसाद यादव बिहार बीजेपी अध्यक्ष केर बयानक आलोचना करैत कहलनि कि राजनीति मे घटिया लोग सभ आएब गेल छथि। अपने क' बता दी वैशाली के प्रभावशाली नेता राय दिसंबर 2016 मे बीजेपी अध्यक्ष केर पदभार सम्हारला। ओ हाजीपुर सँ विधायक सेहो रही चुकल छथि।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।