सहरसा : श्री उग्रतारा महोत्सव मे 'मैथिली ठाकुर' ब्राह्मण बाबू यौ... गीत गाबि श्रोता लोकनिक मन मोहि लेलीह

सहरसा। 20 नवम्बर। मिथिलाक बेटी कलर्स टीवी केँ राइजिंग स्टार शो केर रनर व कैको आन कार्यक्रम मे सफलता पाबी गायकी केर दुनिया मे तहलका मचबै बाली 17 वर्षीया मैथिली ठाकुर अप्पन गायकी सँ श्री  उग्रतारा सांस्कृतिक महोत्सव केर श्रोता लोकनिक मन मोहि लेलीह। पहिल बेर सहरसा पहुंचल मैथिली ठाकुर मैथिली गीत ब्राह्मण बाबू यौ... गाबि श्रोता लोकनिक खूब वाहवाही लुटली। 

स्नेह लता रचित जेहने किशोरी मोरी तेहने किशोर हे....., देखू देखू सखिया सजनी हमर रे.. केर प्रस्तुति पर दर्शक सभ खूब थपड़ी बजौलनि ओतहि हिंदी सूफी मैं तो पिया से नयना मिला आई.... आओर मेरे रस्ते कमर तेरी पहली नजर सँ दर्शक सभक खूब वाहवाही लुटली। गायिका सभके सदर एसडीओ प्रशांत कुमार मोमेंटो द' सम्मानित केलनि। 

मैथिली पहिल बेर सहरसा जिलाक महिषी उग्रतारा माता व भारती मंडन केर पावन धरती पर आबिकेँ अपना आपकेँ गौरवान्वित महसूस करैत खुशी जतौलनि। एहि मौका पर न्यास कमेटी केर सचिव पीयूष रंजन, उद्घोषक मुक्तेश्वर मुकेश, गौतम सिंह, बीडीओ परशुराम सिंह, सीओ रमण वर्मा, पवन चौधरी, पूर्व मुखिया गणेश बढ़ई आदि मौजूद छला।