बीएन मंडल विश्वविद्यालय केँ विद्यार्थी सभक लेल नीक खबैर, जल्दे भेटत गणित के 15 शिक्षक

मधेपुरा। 21 नवम्बर। बीएन मंडल विश्वविद्यालय क' जल्दे गणित के 15 शिक्षक भेटै बला अछि। प्राप्त खबैर केर मुताबिक विश्वविद्यालय प्रशासन द्वारा नियुक्ति प्रक्रिया शुरू क' देल गेल अछि। ऐहिक लेल गठित कमिटी केर समक्ष कैल्हि सोम दिन 12 अभ्यर्थी उपस्थित भेला। टीमक सदस्य सभ अभ्यर्थि केर कागजात जांच केलनि। केंद्रीय पुस्तकालय मे गणित विषय केर अभ्यर्थि सभक प्रमाण-पत्र जांच कायल गेल। 

बिहार लोक सेवा आयोग द्वारा बीएन मंडल विवि के लेल 15 सहायक प्राचार्य केर नियुक्तिक अनुसंशा कायल गेल अछि। ऐहिक लेल विवि क' अभ्यर्थि सभक योग्यता, चरित्र, स्वास्थ्य सहित आन अभिलेख केर जांच आओर समीक्षा करबाक लेल अधिकृत कायल गेल अछि। 

विवि द्वारा गठित टीम समीक्षा सँ संतुष्ट भ' नियुक्ति केर रिपोर्ट विवि प्रशासन क' सौपत। जाहिक लेल15 अभ्यर्थि मे 12 अभ्यर्थी अप्पन प्रमाण-पत्र संग उपस्थित भेला। समीक्षाक लेल बेसी अभ्यर्थी दिल्ली, उत्तर प्रदेश, पश्चिम बंगाल, चेन्नई, गुजरात, उड़ीसा सँ शामिल भेल अछि। बिहार के मात्र 3 अभ्यर्थि केर अनुसंशा कायल गेल अछि। 

जांच कमिटी केर संयोजक सह डीन डॉ. शिवमुनि यादव कहलनि कि अभ्यर्थि सभक आवश्यक कागजात केर समीक्षाक बाद रिपोर्ट विवि प्रशासन क' सौपल जायत।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ