चौरा गाम निवासी पीड़ित महिला ललिता देवी क'12 नवंबर दिन अगम कुआं एरिया मे माँ शीतला इमर्जेन्सी हॉस्पिटल मे भर्ती कराओल गेल छल। एक पुलिस अधिकारी ऐहिक जानकारी दैत कहलनि कि इलाजक बाद हॉस्पिटल द्वारा ललिता देवी क' डेढ़ लाख टाकाक बिल देल गेल छल, मुदा बाद मे 70 हजार मे डिस्चार्ज करबा पर सहमति बनल छल।
हॉस्पिटल केर डिमांड क' पूरा करबाक लेल ललिता देवी केर 7 बरखक बेटा कुंदन भीख मांगब शुरू क' देलनि, जखन की हुनकर पति निर्धन राम सेहो हितैषि सभसँ 50 हजार टाकाक इंतजाम क' लेलनि। हालांकि 20 हजार टाका एखनो कम पड़ैत छल जाहिक लेल हॉस्पिटल हुनका डिस्चार्ज करबा सँ मना क' देलनि।
स्थानीय समाचार पेपर मे कुंदन द्वारा माँ क' हॉस्पिटल सँ निकालबाक लेल भीख मांगबा सँ सम्बंधित खबैर छपबाक बाद सांसद पप्पू यादव एहि पर संज्ञान लेलनि आ हॉस्पिटल क' अप्पन जेब सँ 25 हजार टाका देबाक पेशकश केलनि। सांसद पप्पू यादव पुलिस आओर पटना के सिविल सर्जन डॉक्टर प्रमोद झा क' सेहो ऐहिक जानकारी देलनि। पीड़ित महिला क' पुलिस केर निगरानी मे हॉस्पिटल सँ निकलवा क' ऐम्बुलेंस मे घर भेजल गेल।
एहि बीच पुलिस हॉस्पिटल केर मालकिन निशा भारती केर खिलाफ सेहो खुद क' डॉक्टर केर तौर पर देखेबाक आरोप मे मामला दर्ज केलक। हुनका खिलाफ नर्सिंग आओर मिडवाइफ केर कोर्स करबाक बावजूद बगैर रजिस्ट्रेशन केर हॉस्पिटल चलेबाक आरोप अछि।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।