संघ प्रमुख मोहन भागवत, नीतीश कुमार के संग विश्व धर्म सम्मेलन म' भेला शामिल

आरा। 04 अक्टूबर। भोजपुर जिलाक चंदवा म' आयोजित विश्व धर्म सम्मेलन म' शामिल होयबाक लेल राष्ट्रीय स्वयंसेवक संघ (आरएसएस) के संघचालक मोहन भागवत आय बुध दिन बिहार पहुंचल छथि। सम्मेलन म' मुख्यमंत्री नीतीश कुमार आओर मोहन भागवत एक संग मंच साझा क' रहल छथि। 

आरएसएस प्रमुख भागवत दू दिनक दौरा पर बिहार आयल छथि। चंदवा म' 25 सितंबर सँ शुरू भेल एहि महायज्ञ केर पूर्णाहुति कैल्हि 5 अक्टूबर क' होयत। महायज्ञ स' पहिने आय 4 अक्टूबर क' अंतरराष्ट्रीय धर्मसम्मेलन केर आयोजन कायल गेल अछि। धर्मसम्मेलन म' संघ प्रमुख, मुख्यमंत्री नीतीश कुमार के अलावा केन्द्रीय दूरसंचार मंत्री रविशंकर प्रसाद, केन्द्रीय मंत्री आरके सिंह, सांसद आर के सिन्हा, प्रदेश के पथ निर्माण मंत्री नंद किशोर यादव सहित कैको मंत्री शामिल भेल छथि। 

आयोजन समिति केर मुताबिक धर्म सम्मेलन, संत सम्मेलन आओर श्री वैष्णव सम्मेलन म' देश-विदेश स' लाखक संख्या म' श्रद्धालु पहुंच रहल छथि। कैल्हि 5 अक्टूबर क' महायज्ञ म' भारी भीड़ जुटबाक उम्मीद अछि।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ