कुर्सी के मोह म' संघयुक्त भारत पर काज क' रहल छथि नीतीश : तेजस्वी यादव

पटना। 04 अक्टूबर। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार के आय बुध दिन राष्ट्रीय स्वयं सेवक संघ प्रमुख मोहन भागवत के संग महायज्ञ म' भाग लेबाक  कार्यक्रम पर राजद नेता तेजस्वी यादव चुटकी लैत कहलनि कि कुर्सी केर  मोह म' नीतीश संघयुक्त भारत बनेबाक काज क' रहल छथि।

प्रदेश के पूर्व उपमुख्यमंत्री तेजस्वी यादव कहलनि कि ‘‘संघमुक्त भारत के  बात करै बला नीतीश कुर्सी केर लोभ-मोह आओर मोदी के डर सँ आब मोहन भागवत संग मिल संघयुक्त भारत केर पहल केना छथि।’’ मुख्यमंत्री आओर भागवत आय आरा जिला के चंदवा म' रामानुज स्वामीजी महाराज केर 1000वीं जयंती पर आयोजित समारोह के समापन पर महायज्ञ म' भाग लेलनि।

गौरतलब अछि कि भाजपा के संग मिल मौजूदा सरकार बनला सँ पहिने,  2015 म' भेल विधानसभा चुनाव के बाद नीतीश कुमार राजद प्रमुख लालू यादव केर पार्टी मिल सरकार बनेना रहथिन। लालू यादव के बेटा तेजस्वी यादव ओहि सरकार म' उपमुख्यमंत्री रहथिन। 

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ