दरभंगा के ललित नारायण मिथिला विश्विद्यालय म' 'गणेश जी' क' रहल छथि ग्रेजुएशन

दरभंगा। 04 अक्टूबर। ललित नारायण मिथिला विश्विद्यालय के बड़का लापरवाही सामना आयल अछि। बीकॉम पार्ट वन के परीक्षाक एक एडमिट कार्ड म' छात्र केर फोटोक जगह गणेश भगवान के फोटो लगा देल गेल अछि।

ओतहि, छात्र के हस्ताक्षर के जगह पर सेहो गणेश लिखल अछि। बीकॉम पार्ट वन के परीक्षार्थी कृष्ण कुमार रॉय के एडमिट कार्ड म' परीक्षार्थी के फोटोक जगह पर गणेश जीक फोटो लगाओल गेल अछि। आओर हस्ताक्षर के जगह पर गणेश जी के हस्ताक्षर लगाओल गेल अछि। ई मामला तखन उजागर भेल जखन छात्र कृष्ण कुमार रॉय परीक्षा देबाक लेल वेबसाइट स' अप्पन एडमिट कार्ड डाउनलोड केलनि। 

छात्र कृष्ण कुमार रॉय अपना रजिस्ट्रेशन नंबर 1620600501 द' एडमिट कार्ड डाउनलोड केलनि त' ओहिमे हुनकर जगह गणेश जीक फोटो लागल भेटल। गौरतलब अछि की बीकॉम पार्ट-1 के परीक्षा कैल्हि 5 अक्टूबर स' होमै बला अछि। एहि मामला पर विश्वविद्यालय प्रशासन द्वारा किछु भी कहबा सँ इंकार क' देल गेल अछि। जखन की खबैर अछि जे गलती क' सुधार करबाक प्रक्रिया जारी अछि। 

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ