बिहार बोर्ड के मैट्रिक - इंटर परीक्षाक पैटर्न म' भेल बदलाव, आब 50 फीसदी प्रश्न होयत ऑब्जेक्टिव

पटना। 31 अक्टूबर। बिहार बोर्ड द्वारा अप्पन परीक्षा पैटर्न म' एहि बरख सँ बड़का बदलाव कायल गेल अछि। मैट्रिक व इंटर के परीक्षा म' एहि बरख सँ आब 50 फीसदी प्रश्न ऑब्जेक्टिव पूछल जायत। ई बदलाव आगामी सेंट-अप परीक्षा सँ लागू कायल जायत।

बोर्ड के अध्यक्ष आनंद किशोर कहलनि कि आब मैट्रिक व इंटर केर परीक्षा म' 50 फीसदी प्रश्न ऑब्जेक्टिव होयत। शेष प्रश्न 2 सँ 5 नंबर के होयत। आनंद किशोर कहलनि कि पैटर्न म' बदलाव के बाद बोर्ड नवा मॉडल पेपर जारी करत। बोर्ड 7 नवंबर क' इंटर व 15 नवंबर क' मैट्रिक के मॉडल पेपर जारी क' देत। ऑब्जेक्टिव सवाल सभक जबाब देबाक लेल छात्र सभके ओएमआर सीट भेटत।   

आनंद किशोर आगा कहलनि कि परीक्षाक पैटर्न म' एहि तरहक बदलाव छात्र सभक हीत लेल कायल जे रहल अछि। बिहार बोर्ड के छात्र सभके सेहो नीक अंक आबे ऐहिक लेल ई प्रयोग कायल जे रहल अछि। जाहिक परिणाम सेहो जल्दे देखार देत। छात्र सभके नीक अंक आयत तखने बिहार बोर्ड के छात्र सभके नीक विश्वविद्यालय सभमे दाखिला भेटत।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ