घटना केर संबंध म' भेटल जानकारी केर मुताबिक आय भोर सीएमएस कर्मी स्थानीय पंकज मार्केट स्थित बैंक ऑफ इंडिया म' ई भारी रकम जमा करबे जायत छल। एहि दौरान हथियारबंद अपराधी सभ बिग बाजार स' कैश ल' क' निकलल कर्मचारी सँ 37 लाख ताका लूईट लेलनि आओर फायरिंग करैत फरार भ' गेलनि।
स्थानीय बिग बाजार सँ मात्र 200 मीटर के दूरी पर अपराधी सभ एहि घटना क' अंजाम देलनि। घटना के बाद सिटी एसपी उपेंद्र नाथ वर्मा, टाउन डीएसपी आशीष आनंद मौका पर पहुंच मामले के जांच क' रहल छथि। अपने क' बता दी कि लूटक वारदात सँ मिठनपुरा थाना मात्र डेढ़ किमी के दूरी पर स्थित अछि।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।