नेपाल : बस दुर्घटना म' मधुबनी निवासी माँ-बेटा समेत 31 के मौत, कैको घायल

मधुबनी। 30 अक्टूबर। नेपालक राजधानी काठमांडू जे रहल बस के त्रिसूला नदी म' गिरला सँ मधुबनी जिलाक एक माँ- बेटे समेत 31 लोगक मौत होयबाक खबैर अछि। मरै बला म'11 बच्चा सेहो शामिल अछि। जखन की एहि घटना म' 16 गोटा गंभीर रुपे घायल बताओल जे रहल अछि।

घटना के संबंध म' मधुबनी निवासी मृतका के पति मनोज ठाकुर कहलनि  कि बस बहुत तेज गति म' छल, आओर भोरका करीब पांच बजे एकाएक पचास फीट निचा नदी म' गिर पड़ल। नदी म' पैन बेसी होयबाक कारण बस पूरा तरहे पैन म' डूईब गेल। हम सभ 5 गोटा बस म' सफर करैत छलहुँ। जाहिमे तीन गोटा कहूना बाहर निकैल पेलहुँ। दुर्घटना के बाद बस चालक फरार बताओल जे रहल अछि। 

मृत महिला आओर हुनकर बेटा के पहिचान मधुबनी के राजनगर थाना क्षेत्रक ममता ठाकुर एवं मनीष ठाकुर के रूप म' कायल गेल अछि। मृतक राजनगर थाना क्षेत्र के बरहारा गामक रहिवासी छल। मृतकक शव क' गाम लाओल गेल जता पूरा गाम म' मातम पसरल अछि।

अपने क' बता दी 14 बरख पहिनो उक्त स्थल पर ब्रिटिश सेना म' कार्यरत लोग सभसँ भरल बस दुर्घटनाग्रस्त भेल छल। जाहिमे 52 लोगक मौत भेल छल। एम्हर पछिला तीन बरख म' उक्त स्थल पर भेल दुर्घटना म' 42 लोगक मौत भ' चुकल अछि। 

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ