उत्पाद विभाग द्वारा कार्रवाई करैत शराब के भट्ठी क' ध्वस्त कायल गेल

समस्तीपुर। 30 अक्टूबर। बिथान थाना क्षेत्र म' वरीय पदाधिकारी सभक कड़ा निर्देश के बावजूद शराब के कारोबार थमबाक नाम नहि ल' रहल अछि। गुप्त सूचना के आधार पर समस्तीपुर स' आयल उत्पाद विभाग के  टीम द्वारा छापामारी करि देसी शराब बनेबाक मिनी फैक्ट्री के पर्दाफाश कायल गेल। 

उत्पादन विभाग के टीम द्वारा कायल गेल छापामारी म' 408 लीटर देसी शराब समेत भारी मात्रा म' शराब बनेबा म' उपयोग होय बला गुड़, महुआ, नशीला टेबलेट, यूरिया बरामद कायल गेल अछि। संगहि शराब बनेबाक उपकरण सेहो बरामद कायल गेल अछि। 

उत्पादन विभाग के टीमक नेतृत्व एसआई जनार्दन प्रसाद क' रहल छलथि। उत्पाद विभाग के टीमक अएबाक खबैर शराब कारोबारी सभके भेट जेबाक कारण सभ कारोबारी मौका सँ फरार बताओल जे रहल अछि। एसआई प्रसाद कहलनि कि दू कारोबारी पर नामजद प्राथमिकी दर्ज कायल गेल अछि। ओतहि, एहिसँ पहिनो उत्पाद विभाग के टीम द्वारा कैको बेर बिथान थाना क्षेत्रक कैको गाम म' छापामारी करि सैकड़ों लीटर देसी-विदेशी शराब बरामद करैत कैको कारोबारी क' गिरफ़्तार कायल गेल। 

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने