अज्ञात युवकक शव भेटला सँ सुपौल म' सनसनी

सुपौल। 09 सितम्बर। राघोपुर थाना क्षेत्रक हुलास पंचायत म' खेत म' एक अज्ञात युवकक लाश भेटला सँ पूरा इलाका म' सनसनी पसरल अछि। प्रत्यक्षदर्शि सभक मुताबिक खेत म' महिला सभ द्वारा घास काटबाक दौरान शव देखल गेल। घटना केर सूचना भेटला पर पुलिस शव क' कब्ज़ा म' ल' पोस्टमार्टम लेल सदर अस्पताल भेज देलनि।

सूचना भेटला पर तत्परता सँ राघोपुर थानाध्यक्ष चन्द्रकान्त गौरी मौका पर पहुंच लाश क' कब्जे म' लेलनि। चन्द्रकान्त गौरी कहलनि कि शव क' पोस्टमार्टम लेल सदर अस्पताल भेजल गेल अछि। एखन धरी युवकक शिनाख्त नहि भ' सकल अछि।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ