महिला पत्रकार गौरी लंकेश केर हत्याक विरोध म' मधुबनी म' कैंडल मार्च निकालल गेल

मधुबनी। 08 सितम्बर। बेंगलुरु म' भेल पत्रकार गौरी लंकेश केर हत्याक विरोध पूरा देश भरी म' देखकर देलक। मधुबनी म' सेहो लोग सभ कैंडल मार्च निकाली रोष जतौलनि। ऐहिक संगे शोक सभा केर सेहो आयोजन कायल गेल।

मधबुनी म' पत्रकार आओर सामाजिक कार्यकर्ता सभ थाना चौक सँ स्टेशन चौक धरी कैंडल मार्च निकालनि। शोक सभा केर आयोजन करि  दिवगंत पत्रकार गौरी लंकेश क' श्रद्धांजलि अर्पित कायल गेल। मधुबनी के पत्रकार सभ कर्नाटक सरकार आओर केंद्र सरकार सँ मांग केलनि कि पत्रकार सभ पर भ' रहल हमला क' रोकबाक लेल पत्रकार सुरक्षा कानून अविलम्ब लागू कायल जाए। संगहि गौरी लंकेश केर कातिल क' 24 घंटा केर भीतर गिरफ्तार कायल जाए आओर हुनकर परिवार क' सरकारी मुआवजा आओर सरकारी नौकरी द' न्याय कायल जाए।

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने