सहरसा। 09 सितम्बर। सदर थाना क्षेत्र के डुमरैल चौक पर एक यात्री टेम्पू पर बिजली तार गिरला सँ एक केर मौत आओर दू लोगक हालत गंभीर बताओल जे रहल अछि। घटना केर विरोध म' आक्रोशित लोग सभ बाईपास रोड क' जाम करि बिजली विभाग केर खिलाफ खूब नाराबाजी केलनि।
बताओल जे रहल अछि कि मधेपुरा के ग्वालपाड़ा प्रखंडक किछु लोग टेम्पू सँ सहरसा के महिषी प्रखंड स्थित कारू बाबा स्थान दूध चढ़बे जायत रहथिन। एहि बिच सहरसा के डुमरैल चौक पर टेम्पू रुकल आओर एकाएक 11 हजार वोल्ट के तार टूटी क' टेम्पू पर गिरल जाहिसँ ई घटना घटल।
एहि दुर्घटना म' एक लोगक मौत भ' गेल जखन की दू महिला गंभीर रुपे घायल बताओल जे रहल अछि।घायल सभके आनन-फानन म' तत्काल सदर अस्पताल म' भर्ती कराओल गेल जाता चिकित्सक सभ दुनू केँ स्थिति नाजुक बता रहल छथि। अस्थानीय लोग सभक कहब अछि कि बेर - बेर बिजली विभाग स' तार बदलबाक गुहार लगेबाक बादो विभाग एहि दिस ध्यान नहि देलनि आओर आखिरकार ई हादसा भेल।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।