
सहरसा। 06 सितम्बर। मधेपुरा म' सौकड़ो मवेशि केर शव भेटलाक विरोध म' बजरंग दल केर कार्यकर्ता सभ शहर के पॉलिटेक्निक ढाला पर इंटरसिटी एक्सप्रेस ट्रेन क' रोकी सड़क जाम क' देलनि। जाम सँ जता आवागमन लगभग एक घंटा धरी बाधित रहक ओतहि आधा घंटा घरी ट्रेन रुकला सँ यात्री सभ परेशान भेलथि। पुलिस के पहुंचलाक बाद आओर कार्रवाई केर आश्वासन देबाक बाद बजरंग दल के कार्यकर्ता सभ शांत भेलथि।
अपने क' बता दी मधेपुरा के मुरलीगंज प्रखंडक जेसीबी नहर म' सैकड़ो मवेशि सभक शव बरामद होयबाक बाद होहिठाम भेल बवाल केँ आगि सहरसा सेहो पहुंच गेल अछि। बजरंग दल के कार्यकर्ता दोषी पर कार्रवाई करबाक मांग ल'क' मधेपुरा जिला प्रशासन केर खिलाफ खूब नारेबाजी केलनि।
कार्यकर्ता सभक कहब छल कि ऐहिक लेल दोषी लोग सभके चिह्नित करि हुनका ऊपर कार्रवाई काएल जाय नहि तेँ उग्र आंदोलन काएल जायत। कार्यकर्ता सभ प्रशासन पर मामला क' दबेबाक आरोप लगौलनि। ओनाकि प्रशासनिक अधिकारी सभक कहब छल जे शव अररिया सँ नहर के पैन म' देहा क' आएल अछि।
ट्रेन रोकबाक सूचना पर पहुँचल सदर थानाध्यक्ष भाई भरत कुमार आंदोलनकारि सभसँ बात केलनि। थानाध्यक्ष कहलनि कि प्रशासन मामला केँ छानबीन म' जुटल अछि। जे कियो दोषी हटा हुनका उनपर कार्रवाई तय अछि। मवेशि सभक शव कोना पहुंचल वरीय अधिकारी ऐहिक खुद जांच क' रहल छथि।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।