आदित्य सचदेवा रोडरेज मर्डर : रॉकी यादव समेत 3 क' उम्रकैद

गया। 06 सितम्बर। करीब 16 मासक बाद चर्चित आदित्य सचदेवा हत्याकांड म' रॉकी समेत 4 दोषी केर खिलाफ आए कोर्ट सजा सुना देलनि अछि। एहि मामला म' रॉकी आओर हुनकर दू सहयोगी सभके उम्रकैद केर  सजा सुनाओल गेल।

ओतहि, हुनकर पिता बिंदी यादव क' पांच बरखक सजा सुनाओल गेल अछि। रॉकी केर अलावा टेनी यादव आओर राजेश कुमार क' आजीवन कारावास भेल अछि। एहि मामला म' कोर्ट रॉकी केर अलावा हुनकर पिता बिंदी यादव, ड्राइवर टेनी यादव आओर बॉडीगार्ड राजेश यादव क' दोषी करार देलनि। एडीजे-1 सच्चिदानंद सिंह केर कोर्ट एहि मामला केर सुनवाई करैत रॉकी क' दोषी करार देना छल। बिंदी, टेनी व राजेश कुमार पर एहि मामला म' साक्ष्य नुकाबै केर आरोप छल।

जेडीयू सँ निलंबित एमएलसी मनोरमा देवी केँ पुत्र रॉकी यादव, राजेश कुमार सिपाही एवं राजीव कुमार उर्फ़ टेनी यादव क' धारा 323/302/34 आईपीसी एवं 27/30 आर्म्स एक्ट केर तहत दोषी करार देल गेल आओर अलग सँ राजेश सिपाही क' धारा 217 एवं बिंदी यादव क' धारा 212/177 केर तहत दोषी करार देल गेल अछि। 

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने