विश्व प्रसिद्ध पितृपक्ष मेला केर शुभारंभ भेल, सुशील मोदी केलनि उद्घाटन

गया। 06 सितम्बर। विश्व प्रसिद्ध पितृपक्ष मेला 2017 के कैल्हि मंगलदिन शुभारंभ भेल। मेलाक उद्घाटन उपमुख्यमंत्री सुशील कुमार मोदी आओर कृषि मंत्री डॉ. प्रेम कुमार केलनि। एहि मौका पर पूर्व मुख्यमंत्री जीतन राम मांझी सहित कैको विधायक आओर प्रशासनिक अधिकारी मौजूद छल।

पितृपक्ष मेला 2017 केर उद्घाटन करबाक बाद उपमुख्यमंत्री सुशील मोदी उपस्थित लोग सभके संबोधित करैत कहलनि कि पितृपक्ष मेला म' लगातार बदलाव भ' रहल अछि। नवा सरकार म' नवा बदलाव भेल अछि। बेसी सँ बेसी सुविधा तीर्थ यात्रि सभके मुहैया कराओल जे रहल अछि।  

सुशील मोदी आगा कहलनि कि जीतन राम मांझी अप्पन कार्यकाल म' गया के बिथो शरीफ म' बिथो बीयर बांध बनेबाक प्रस्ताव पारित केना छलथि, जे मुख्यमंत्री नीतीश कुमार केर संज्ञान म' अछि। ऐहिक लेल मुख्यमंत्री सँ बात करि बिथो बियर बांध के काज जल्दिये शुरू करायब। 

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने