प्रद्युम्न हत्या कांड : एक नजैर प्रद्युम्न के पिता वरुण ठाकुर द्वारा दायर कायल गेल याचिका पर


मधुबनी। 11 सितम्बर। गुरुग्राम के रायन इंटरनेशनल स्कूल म' सात बरखक प्रद्युम्न केर हत्या स' सभ दिस आक्रोसक माहौल अछि। प्रद्युम्न केर परिवारक लोग लगातार एहि मामलाक सीबीआई जांच कर मांग क' रहल अछि। एहि संबंध म' आय सोम दिन प्रद्युम्न के पिता वरुण ठाकुर सुप्रीम कोर्ट म' याचिका दायर केलनि। 


एक नजैर वरुण ठाकुर द्वारा दायर कायल गेल याचिका म' कि कहल गेल अछि ?

  • देशक सभ स्कूल केँ मैनेजमेंट केर जवाबदेही तय कायल जाय।
  • स्कूल केर देनदारी सेहो तय होय।
  • ऐही प्रकारक घटना पर स्कूल मैनेजमेंट केर जिम्मेदारी तय कायल जाय।
  • स्कूलक भीतर बच्चा सभक संग कोनो प्रकारक घटना होबा पर मैनेजमेंट, डायरेक्टर, प्रिंसिपल समेत प्रमोटर केर खिलाफ लापरवाही बर्तबाक आरोप केर तहत कार्रवाई कायल जाय।
  • एही तरहक घटना होबा पर स्कूल केर मान्यता वा  लाइसेंस रद्द कायल जाय।
  • स्कूल म' एही तरहक घटना सभक लेल एक स्वतंत्र संवैधानिक बॉडी वा ट्रिब्यूनल केर गठन होय।
  • सुप्रीम कोर्ट केर रिटायर्ड जज केर अध्यक्षता म' एक कमीशन बनाओल जाय जे स्कूल सभक लेल सिफारिश करे।
  • एही पूरा मामलाक सुप्रीम कोर्ट केर निगरानी म' स्वतंत्र आओर निष्पक्ष सीबीआई वा SIT सँ जांच कराओल जाय।
  • परिवारक सुरक्षा लेल कोर्ट दिशा निर्देश जारी करे।

एहि बीच खबैर आएब रहल अछि कि प्रद्युम्न केर मामला म' बढ़ैत दबाबक बीच हरियाणा केँ मुख्यमंत्री मनोहर लाल खट्टर कहलनि कि ओ सीबीआई जांच करेबाक लेल तैयार छथि। मनोहर लाल खट्टर प्रद्युम्न केर पिता वरुण ठाकुर क' फोन करि कहलनि कि परिवार जाहि तरहक जांच चाहे, सरकार ओहि तरहे करेबाक लेल तैयार अछि।

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने