प्रद्युम्न हत्या कांड म' रायन स्कूल पर बड़का कार्रवाई, 2 अफसर गिरफ्तार

मधुबनी। 11 सितम्बर। [मिहिर कुमार झा "बेला] गुरुग्राम के रायन इंटरनैशनल स्कूल म' भेल 7 बरखक नेना प्रद्युम्न ठाकुर के हत्याक मामला म' बरका मामले में बड़ी कार्रवाई भेल अछि। हरियाणा पुलिस कैल्हि राति स्कूलक प्रबंधकीय स्तर के दू अधिकारी क' गिरफ्तार केलनि अछि। रायन स्कूल के नॉर्दन इंडिया हेड फ्रांसिस थॉमस आओर एचआर हेड जियूस थॉमस क' गिरफ्तार कायल गेल अछि। हिनका सभक गिरफ्तारी जुवेनाइनल जस्टिस (जेजे) एक्ट केर तहत भेल अछि। 

सोहना सदर थाना केँ एसएचओ अरुण सिंह क' सेहो सस्पेंड काएल गेल अछि।  एम्हर, प्रद्युम्न के माँ चेतावनी देलनि कि यदि असली गुनहगार नहि पकराओल गेल त' ओ आत्मदाह क' लेती। आगा ओ कहली कि साजिश केर तहत हुनकर बेटा प्रद्युम्न केर हत्या कायल गेल अछि। एहि हत्याक पाछा बस कंडक्टर नहि केओ आर छथि आओर ऐहिक सीबीआई जांच होयबाक चाही। प्रद्युम्न केँ पिता एहि मामलाक जांच लेल सुप्रीम कोर्ट केर रुख केना छथि।

एहि बीच लोग सभक आक्रोश क' देखैत गुरुग्राम म' रायन ग्रुप के चारों स्कूल क' आय बंद राखल गेल अछि। स्कूल प्रबंधन केर खिलाफ लोग सभक तामस देखैत कैको अभिभावक सभ रायन ग्रुप के गुरुग्राम स्थित सभ स्कूल म' छुट्टी केर मांग केना छल। एहि पर शिक्षा रायन ग्रुप के गुरुग्राम स्थित सभ स्कूल म' आय सोमदिन अवकाश केर घोषणा केलनि। एम्हर, भोंडसी स्थित स्कूल केर वेबसाइट क' सेहो बंद कायल गेल अछि। लोग सभक प्रदर्शन क' देखैत भोंडसी स्थित रयान स्कूल म' भारी संख्या म' पुलिस क' तैनात कायल गेल अछि।

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने