औरंगाबद म' दरिंदगी : दुष्कर्म के बाद युवतिक तेजाब सँ नहा हत्या

औरंगाबाद। 11 सितम्बर। औरंगाबाद आओर अरवल जिलाक सीमावर्ती गामक लोग क' सड़क कात एक युवतीक शव भेटल। ओहिक बाद स्थानीय लोग सभक भीड़ ओता जमा भ' गेल।

लाश केर पहिचान अरवल जिला स्थित तेलपा ओपी के अंतर्गत पड़ै बला गाम पीड़हो के युवतिक रूप म' काएल गेल अछि। मृतक युवती पुलिस म' नौकरी के लेल तैयारी करैत छली। झारखंड पुलिस म' भर्ती के लेल ओ परीक्षा सेहो पास क' लेना छली। दौड़क प्रैक्टिस लेल ओ सभदिन भोर तीन बजे घर सँ निकलैत छली।  

सभ दिन जोका शनि दिन सेहो युवती घर स' निकललि मुदा जखन घर वापस नहि पहुँचलि त' परिजन सभ हुनक खोजबीन शुरू केलनि। पूरा दिन खोजबाक बादो जखन हुनकर कोनो पता नहि चलल तखन परिजन सभ तेलपा ओपी मुख्यालय पहुंच गुमशुदगी केर रिपोर्ट दर्ज करौलनि। औरंगाबाद जिलाक हसपुरा थाना क्षेत्रक रघुनाथपुर गामक बधार सँ युवतिक शव कैल्हि रवि दिन भेटल। ई खबैर अगल - बगल केर गाम म' आगिक जोका पसैर गेल।

शव क' देखला सँ लागैत अछि कि पहिने युवती संग दरिंदा सभ दुष्कर्म केलनि, ओहिक बाद तेजाब स' नहा क' ज़रा देलनि। पुलिस शव क' पोस्टमार्टम करवा परिजन क' सौंप देलनि। ओतहि दुनू जिलाक पुलिस अधिकारी घटनास्थल पर पहुंच ग्रामीण आओर परिजन सभसँ बात करि मामला केर तहकीकात शुरू क' देलनि अछि। करपी प्रखंड विकास पदाधिकारी अखिलेश्वर कुमार द्वारा मृतका के पिता क' परिवारिक लाभ योजना केर अंतर्गत बीस हजार टाकाक चेक सौंपल गेल।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ