सीतामढ़ी। 13 सितम्बर। जिला के सीतामढ़ी-पुपरी मार्ग पर बछारपुर गाम लग भीषण सड़क दुर्घटना भेल। बताओल जे रहल अछि कि जखन अल्पसंख्यक समुदाय के लोग सांझ क' मस्जिद म' नमाज अदा करि बाहर निकलैत रहथिन। ओहि समय एक बेकाबू ट्रक मस्जिद म' घुइस गेल।
प्राप्त जानकारी केर मुताबिक सीतामढ़ी दिस सँ आएब रहल सुधा डेरी के ट्रक नियंत्रण हरा मस्जिद के देबाल क' तोड़ैत भीतर घुइस गेल आओर नमाज अदा करि निकैल रहल 4 गोटा क' दाबी देलक। एहि हादसा सँ एक व्यक्ति के मौत घटनास्थले भ' गेल, जखनकि दू लोगक इलाज के दौरान मौत भेल। ओतहि एक व्यक्ति केर हालत गंभीर बताओल जे रहल अछि।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।