मधुबनी में भेल नैंसी हत्याकांड के पुरनावृति , 13 वर्षीय नाबालिक लड़की के हत्या


मधुबनी। 13 सितम्बर।  जिलाक फुलपरास थाना क्षेत्र के किसनीपट्टी  गामक 13 वर्षिये सरस्वती मामा गाम मेला देख लेल गेल छल। ओहि मेला में स्थित इनार (कुआँ ) में लाश भेटला सs पूरा क्षेत्र में सनसनी फ़ाइल गेल। प्राप्त जानकारी के मुताबिक शिवनराण साह के 13 वर्षीय पुत्री सरस्वती कुमारी अपन मामा गाम सुगापट्टी मेला देख लेल गेल छल। जाहिठाम एक सांस्कृतिक कार्यक्रम के दौरान मेला सs लपता बह गेल , एही घटना के बाद स्थानीय थाना में एक संहा दर्ज कैल गेल।  8 सितम्बर के मृतक अपन बाबा के नथुनी साह के संग अपन मामा के ओहिठाम गेल छल।  9 सितम्बर के साँझ सरस्वती अपन मामी आ ममियौत बहिन के संग कार्यक्रम देख लेल गेल चल जाहिठाम सs ओ निपत्ता भ गेल। जाहि के सूचना मामा के द्वारा मृतिका के पिता के देल गेल। जाहि के बाद थाना में संहा दर्ज कैल गेल। जाहि के बाद थाना खोजबीन में जुटी गेल। 

मंगल दिन लाश सs निकलल दुर्गन्ध पर इनार (कुआँ ) के तरफ लोक सभ देखा गेल जाहिठाम लड़की के लाश देखाई देलक , जाहि के सूचना तत्काल पुलिस के देल गेल। पुलिस शव के कब्ज़ा में लक तुरंत पोस्टमार्टम के लेल मधुबनी पठा देलक। थानाध्यक्ष श्यामकिशोर रंजन कहला कि पोस्टमार्टम रिपोर्ट एलाक बाद ही किछ कही सकैत छी।  

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने