ई घटना सहरसा के कहरा ब्लॉक रोड स्थित बीएससी इंटरनेशनल स्कूल के अछि। बताओल जे रहल अछि कि सहरसा के कहरा ब्लॉक रोड स्थित बीएससी इंटरनेशनल स्कूल के मास्टर बंटी द्वारा कक्षा एक म' पढ़ाई क' रहल छात्र रिषभ केर बेरहमी सँ पिटाई कायल गेल अछि। पिटाई स' छात्र रिषभ के दाहिना हाथ, बांह आओर कमर के निचला हिस्सा म' जख्म केर निशान अछि। छात्र रिषभ क' ईलाजक लेल सदर अस्पताल म' भर्ती कराओल गेल अछि।
बीएससी इंटरनेशनल स्कूल के कक्षा एक के छात्र रिषभ के मास्टर द्वारा बेरहमी स' पिटाई करबा स' नाराज पिता मणिकांत सिंह सहरसा के नगर थाना म' मास्टर केर खिलाफ मामला दर्ज करेना छथि। पिता मणिकांत सिंह कहलनि कि ई कताकेँ इंसाफ थीक, कि छोटा छिन्न बच्चा यदि गलती कर' त' ओकर एहि तरहे बेरहमी सँ पिटाई कायल जाय। यदि बच्चा - बच्चा म' कुनु बात ल'क' विवाद सेहो भेल त' हुनका समझा बुझा शांत कराओल जे सकैत अछि। आगा ओ कहलनि कि शिक्षा केर मंदिर म' बच्चा क' शिक्षित होयबाक लेल भेजल जायत अछि नहि की पीट-पीट क' लहूलुहान करबाक लेल।
डीएसपी मुख्यालय गणपति ठाकुर कहलनि कि प्राथमिकी दर्ज क' लेल गेल अछि। बच्चा क' पिटल गेल अछि। पुलिस रिषभ के सदर अस्पताल म' ईलाज करा देना अछि। गणपति ठाकुर कहलनि कि स्कूल प्रबंधन केर खिलाफ जे भी उचित कानूनी कार्रवाई होयत कायल जायत।
1 टिप्पणियाँ
बच्चा यदि ग़लती दोहरा कय करय तब सबक सिखाना जरुरी होय छै।
जवाब देंहटाएंमिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।